Skip to content
जय मिथिला सौभाग्य मिथिला
धर्म ही हमर प्रधान यउ...
बेनीपट्टी घर हमर अछि
बिस्फी हमर दलान यउ...
जता भोर में शंख गुंजय या
संगही पड़य अजान यउ...
विद्यापति केर केलैथ चाकरी
शिव धरी उगना के नाम यउ...
धन्य अईछ ओ मिथिला के धरती
बिस्फी अछि ओ गाम यउ...
उत्तर दक्षिण पूरब पश्चिम
चहूं दिस मिथिला में नाम यउ...
बेनीपट्टी घर हमर अईछ
बिस्फी हमर दलान यउ...
पश्चिम में छैथ उच्चैठ भगवती
सिद्धपीठ स्थान यउ..
जतs आबी क शीष नबाबैथ
गुरु संग लक्ष्मण राम यउ...
इहा अछि वो पावन धरती
जता कलुआ बनल महान यउ..
छिन्मस्तिका के वरदान पाबी क
कालिदास भेलैथ विद्वान यउ..
सुनु सुनु यउ मिथिला के वासी
हम करी मिथिला के गान यउ...
बेनीपट्टी घर हमर अईछ
बिस्फी हमर दलान यउ...
© बिदेश्वर नाथ